फोन:०६१२-३२४२०४४, ०९३३४१०८२८१
ई-पत्र संकेत: maithililekhaksangh@maithililekhaksangh.com
जालस्थल: http://www.maithililekhaksangh.com/
मैथिली लेखक संघक नव पदाधिकारी (२००९-११)
अध्यक्ष: नरेन्द्र झा
उपाध्यक्ष: डॉ. इन्द्रकान्त झा
महासचिव: विनोद कुमार झा
सचिव: अजित कुमार आजाद
कोषाध्यक्ष: डॉ. वीरेन्द्र झा
कार्यकारिणीक सदस्य
१. मंत्रेश्वर झा
२. अग्निपुष्प
३. साकेतानन्द
४. शरदिन्दु चौधरी
५. डॉ. इन्दिरा झा
६. कुणाल
७. सुभाष चन्द्र यादव
८. डॉ. योगानन्द झा
९. राजमोहन झा
१२ जुलाइ २००७केँ पं. गोविन्द झाक अध्यक्षतामे विद्यापति भवन, पटनामे बैसार भेल जाहिमे ३५ गोट लेख-लेखिका एवं पत्रकार लोकनि भाग लेलनि। एहि बैसारमे मैथिली लेखक संघक गठन करबाक निर्णय लेल गेल तथा अध्यक्ष, महासचिव एवं कोषाध्यक्षक रूपमे क्रमसँ मंत्रेश्वर झा, विनोद कुमार झा, नरेन्द्र झाक चयन कएल गेल आ हिनका लोकनिकेँ कार्यकारिणीक गठन कए संघक निबंधन हेतु डेग उठेबाक अधिकार देल गेल। ई तीनू अधिकारी लोकनि एगारह सदस्यक कार्यकारिणीक गठन कएलन्हि जाहिमे उपरोक्त तीन अधिकारीक अतिरिक्त आठ सदस्य रहथि- राजमोहन झा, इन्द्रकान्त झा, मधुकान्त झा, अग्निपुष्प, प्रेमलता मिश्र ’प्रेम’, सत्यनारायण मेहता, आ अजित कुमार आजाद। तकर बाद सोसायटी रजिस्ट्रेशन एक्टक अन्तर्गत संघक निबंधन कराओल गेल।
